Maithili Geet Maheshvani ( महेशवाणी ) Lyrics

 महेशवाणी 

गौरी महादेव,Dhan Dhan Nagar Ayodya ki ,Gauri Ke Jogiya Hey,Hamaro Hauri Chhati Bad Sah Loli,Aage Mai Shankar Ji Dulaha ,Basaha Chadhal Shiv Damru Bajabtahin,Gauri Ke Sajanma,एक दिन जयबै हमसब नदिके किनार यो,गौरी दाई के अगुवा भेल मुदैया, शिवजी सँ पुछे हिमाञ्चल के नारी ,अहि ठाम छलै  राम,Apni barat shiv saji liyo re
Maithili Song Maheshvani Lyrics


Lyrics of Maithili song - गौरी महादेव

देखु किस्मत के खेल, गौरी महादेव के पहिने सँ मेल
पुरी जिलेबी शिव के कोबर घर गेल्, पुरी जिलेबी छोडी -२
भाँग घोटी गेल् देखु किस्मत के खेल ………..

तेल फुलेल शिवके कोबर घर गेल्, तेल फुलेल छोडी -२,
भस्म लेपी लेल देखु किस्मत के खेल………..

पियर पिताम्बर शिवके कोबर घर गेल्, पियर पिताम्बर छोडी -२,
मृग छल ओढिलेल देखु किस्मत के खेल………….

लाल पलङ शिवके कोबर घर गेल्, लाल पलङ छोडी -२,
भुइँए लोटी गेल देखु किस्मत के खेल………..


dekhu kismat ke khela, gauri mahadev ke pahine sa mel
puri jilebi shiv ke kobar ghar gel, puri jilebi chhodi -2
bhaang ghoti gel, dekhu kismat ke khel ……….

tel fulel shivake kobar ghar gel, tel fulel chhodi -2
bhasm lepi lel, dekhu kismat ke khel ………..

piyar pitaambar shivake kobar ghar gel, piyar pitaambar chhodi -2
mrig chhal odhilel, dekhu kismat ke khel …………

lal palanga shivake kobar ghar gel, lal palanga chhodi -2
bhuie loti gel, dekhu kismat ke khel …………

Lyrics of Maithili song - Dhan Dhan Nagar Ayodya ki 

धन धन नगर अयोध्या कि धन धन राजा दशरथ रे
ललना रे धन कोशीलया जि के भाग कि राम चन्द्र जि जन्म लेल रे
आबहु पुरोहित पोथी शाहीत नेने रे
ललना रे गुनी दियौं बाबुआ के राशी कौने राशी जन्म लेल रे
नौ मि नक्षत्र राम जि जन्मल कि शुभ दिन पाओल रे
ललना रे जब राम जि बारह बर्ष के होयत कि वन के सिधारथ रे
एतबा वचन राजा सुनलनी सुन्हु नै पावल रे
ललना रे ठानिलेल गोर मोर चदरिया कि हम कौना जियब रे
सोइरी घरस् बोल्थिन कोशीलया रानी आ आरो सुमित्रा रानी रे
ललना रे कतहु भय राम चन्द्र जि बथु हमरे कहैबथिन रे

Dhan Dhan Nagar Ayodya ki Dhan Dhan Raja Dasharath re
Lalan re Dhan Koushilaya ji ke Bhag ki Ram Chandra ji janam lel re
Aabahu pruohit pothi sahit nene re
lalana re guni diyou babuaa ke rashi koune rashi janam lel re
Naumi Nachatra Ram ji janamla ki subha din paola re
Lalana re jab Ram ji barha barshe ke hoyat ki wan ke sidharath re
Etaba bachan raja sunal ni sunahu nai pawal re
Lalana re thani lel gor mor chadariya ki hum kouna jiyab re
Soyari ghar se bolathin koushilaya rani aa aaro sumitra rani re
Lalana re kathu bhaya ram Chandra ji bathu hamre khaibathin re


Lyrics of Maithili song - Gauri Ke Jogiya Hey

गौरी के जोगिया हे, उमाके जोगिया
डिम डिम डमरु बजबै छै गौरिके जोगिया । ।

कोठा ओ सोफा शिवके मनहुँ नै भावे – २
टुटली मरैया ला बेहाल जोगिया
डिम डिम डमरु बजबै छै गौरिके जोगिया । ।

पुरी जिलेबी शिवके मनहुँ नै भावे -२
भाँग धतुर ला बेहाल जोगिया
डिम डिम डमरु बजबै छै गौरिके जोगिया । ।

पिरे पिताम्बर शिवके मनहुँ नै भावे -२
मृगके छाला ला बेहाल जोगिया
डिम डिम डमरु बजबै छै गौरिके जोगिया । ।

साला दोसाला शिवके मनहुँ नै भावे -२
बाघके छाला ला बेहाल जोगिया
डिम डिम डमरु बजबै छै गौरिके जोगिया । ।

घोडा आ गाडी शिवके मनहुँ नै भावे -२
बसहा बयल ला बेहाल जोगिया
डिम डिम डमरु बजबै छै गौरिके जोगिया । ।
गौरी के जोगिया हे, उमाके जोगिया । ।

Lyrics of Maithili song - Hamaro Hauri Chhati Bad Sah Loli

हमरो गौरी छ्ती बड सह लोलि
कोनाक पिस थिन भाँगक गोलि,
हातोमे परिगेलैन लोढाके ठेला कि मोर गौरी रहती कोना
नहिरा मे खाथिन गौरी खोआ दुध, मिश्री
ससुरा मे भाँग धतुर , कि गौरी मोर रहती कोना
नहिरा मे पहिरथिन गौरी लहँगा औ सारि
ससुरा मे मृगके छाला , कि गौरी मोर रहती कोना
नहिरा मे ओढती गौरि, साला दोसाला
ससुरा मे बाघक छाला,  कि गौरी मोर रहती कोना


Lyrics of Maithili song - Aage Mai Shankar Ji Dulaha 

बसहाँ चढल मतबलबा आगे माई शंकर जि दुलह्बा
कौने हात डमरु शोभे कौने त्रीशुल धारि
कहाँ  सँ  बहैछै गंगा के धरबा आगे माई शंकर जि दुलह्बा

बायाँ हाते डमरु शोभे दहिने त्रीशुल धारि
जटबा सँ बहैछै गँगाके धरबा आगे माई शंकर जि दुलह्बा
कहाँ बिभुत शोभे, कहाँ रुद्र माला
कहाँ शोभै छै मृगके छाला आगे माई शंकर जि दुलह्बा
अगँ बिभुत शोभे, गले रुद्र माला
डाँरोमे शोभेला मृगके छाला आगे माई शंकर जि दुलह्बा
बसहाँ  चढल मतबलबा …….


Lyrics of Maithili song - Basaha Chadhal Shiv Damru Bajabtahin

सभा पैसी जोही एक लएलनि, कएलनी लेलिन बुढबा जमाएगे माई । ।
बसहा चढल शिव डमरु बजाबथी, अगँ मे भस्म रमाये गे माई । ।
अगँने अगँने शिव भिख मगै छथि, देहरी पर धुनिया रमाये गे माई
जटा देखी गौरी थर थर काँपथि, बिभुत देखी के डराई गे माई । ।
सौतीन देखी गौरी मनमन सोचथि, किय लय करबै सुख विलास गे माई
जटा छैक गौरी सिरके लपेटब, से विभुत छैक, अहिबात गे माई । ।
सौतीन छैक गौरी सँग के सहेली से शिव लय करैब विलास गे माई  ……

Lyrics of Maithili song - Gauri Ke Sajanma 

डमरु बजाक मन मोही लेलकै, गौरी के सजनमा
दौरी दौरी गौरी आसनी आन गेली
मृग के छाला ओछालेलकै, गौरी के सजनमा
डमरु बजाक मन ……………….
दौरी दौरी गौरी तेल आन गेली
अँगोमे भस्म रमालेलकै, गौरी के सजनमा
डमरु बजाक मन ……………….
दौरी दौरी गौरी माखन आन गेली
भाँगके गोला चिबालेलकै, गौरी के सजनमा
डमरु बजाक मन ……………….


Lyrics of Maithili song - एक दिन जयबै हमसब नदिके किनार यो

एक दिन जयबै हमसब नदिके किनार यो

छुइट जायतै घर द्वार यो ना । ।
एक दिन यमराज भैया औथिन
पकडिकै चारोदिश घिसिऔथिन । । २ । ।
तखन धिरे – धिरे पुछथिन हिसाब यो
छुइट जायतै घर द्वार यो ना । ।

चौका चार कहाँरिया आयता
एकटा पालकी बनयता । । २
ओइपर झाकी बिछौता ललका ओहार यो
छुइट जायतै घर द्वार यो ना । ।

छित, जल, पावक, गगन, समिर
पञ्च तत्वसे रचल शरिर । ।२ । ।
शिवके भजन करबै हे तै बेरापार यो
छुइट जायतै घर द्वार यो ना । ।

Lyrics of Maithili song -  गौरी दाई के अगुवा भेल मुदैया |

गौरी दाई के अगुवा भेल मुदैया, ठगी लेलक रुपैया
मन छल्, चित छल करितहुँ सुन्दर बर्, लय अयोला बुढबा जमैया, ठगी लेलक रुपैया
गौरी दाई के ………………..
मन छल, चित छल करितहुँ धनीक घर्, लय अयोला गरीब जमैया, ठगी लेलक रुपैँया
गौरी दाई के ………………..

gauri dai ke aguwa bhel mudaiyaa, Thagi lelaka rupaiyaa
man chhal, chit chhal karitahu sundar bar, lay ayolaa buDhaba jamaiyaa, Thagi lelaka rupaiyaa
gauri dai ke………….
man chhala, chit chhal karitahu dhanik ghar, lay ayolaa garib jamaiyaa, Thagi lelaka rupaiyaa
gauri dai ke………….


Lyrics of Maithili song -  शिवजी सँ पुछे हिमाञ्चल के नारी 

शिवजी सँ पुछे हिमाञ्चल के नारी , हिमाञ्चल के नारी बताद जोगिया
कहाँ राखब गौरा प्यारी , बतादा जोगिया

सबके तो देल भोला कोठा अँटारी सँ कोठा अँटारी
अपना ल नै छओ टुटलो केबारी  बताद जोगिया
कहाँ राखब गौरा प्यारी , बतादा जोगिया

सबके तो देल भोला, खेत पथारी सँ खेत पथारी
अपना ल नै छओ एकोधुर बारी बतादा जोगिया
कहाँ राखब गौरा प्यारी , बतादा जोगिया

सबके तो देल भोला, घोडा और गाडी सँ घोडा और गाडी
अपना ल छओ भोला वहे बसहे सवारी बतादा जोगिया
कहाँ राखब गौरा प्यारी , बतादा जोगिया

shivaji sa puche himaaynachal ke naari , himaaynachal ke naari batada jogiyaa
kaha raakhab gaura pyaari , batada jogiyaa

sabake to dela bhola kotha ataari sa kotha ataari
apana la nai chhao tutalo kebari  batad jogiyaa
kaha raakhab gaura pyaari , batada jogiyaa

sabake to dela bhola, khet pathari sa khet pathari
apana la nai chhao ekodhur bari batada jogiyaa
kaha raakhab gaura pyaari , batada jogiyaa

sabake to dela bhola, ghoda aur gaadi sa ghoda aur gaadi
apana la chhao bhola wahe basahe sawaari batada jogiyaa
kaha raakhab gaura pyaari , batada jogiyaa


Lyrics of Maithili song - अहि ठाम छलै  राम

अहि ठाम छलै  राम, भँगियाके झोरिया, से हो लेल गौरी चोराई गे माई
एतबा बचन जब सुनलनी गौरी , रुसी नैहर चली गेल गे माई  । ।

 आहे माई, पर हे परोसिन गौरी के दिय सम्झाई गे माई
हम नही लौटब भोला मुँह देखब, मरब जहर बिख खाई गे माई  । ।

 कथि लाय हम अतेक जपतपलहुँ, कथि लाय धयल निती ध्यान गे माई
हमरो धिया के एहन बर होय, आब हम होयब बताही गे माई  । ।

 फेकी देल हालाडाला, फेकी देल चँगेरी हे फोरी देल चौमुख दिप  गे माई
धिया लै मनाईन मुनहरी घर पैसल, ठोकी देल बजरी केवारी गे माई  । ।

 खिरकी के ओते ओते ताकथि गौरी दाई, तिल भरी  भेष बदलिए गे माई
साजी लेल हालाडाला, साजी लेल चँगेरिया, लेसी लेल चौमुख दिप गे माई
भेल विवाह परल सिर सिन्दुर, शिव चलु कोबर घर गे माई  । ।


Lyrics of Maithili song – Apni barat shiv saji liyo re

अपनी बरात शीव साजीलियोरे, हिमाचल नगरीया
हाराके काडा, करैत के मौरी, सर्पके माला बनालियोरे हिमाचल नगरीया
अपनी बरात शीव साजीलियोरे, हिमाचल नगरीया

जब शीव साजात अपनी बरतीया, भुत यो प्रेत संग साथ लियोरे हिमाचल नगरीया
अपनी बरात शीव साजीलियोरे, हिमाचल नगरीया

परीछन चल्ली सासु मनाईन नाग बेचारा फुफुकार दीओरे हिमाचल नगरीया
अपनी बरात शीव साजीलियोरे, हिमाचल नगरीया

छाला डाला पटकोल पुरहर फोरल बर देखनके सखी सब आओल
ओत जोरस ठहका पारदीओरे हिमाचल नगरीया ।।
अपनी बरात शीव साजीलियोरे, हिमाचल नगरीया


Related Post 




 In this Post You Have found Maithili Geet Maheshvani and lyrics of Maheshwani as गौरी महादेव,Dhan Dhan Nagar Ayodya ki ,Gauri Ke Jogiya Hey,Hamaro Hauri Chhati Bad Sah Loli,Aage Mai Shankar Ji Dulaha ,Basaha Chadhal Shiv Damru Bajabtahin,Gauri Ke Sajanma,एक दिन जयबै हमसब नदिके किनार यो,गौरी दाई के अगुवा भेल मुदैया, शिवजी सँ पुछे हिमाञ्चल के नारी ,अहि ठाम छलै  राम,Apni barat shiv saji liyo re.

These  All Lyrics Extracted From Internet.
Thanks For Visiting